Friday, March 29, 2024

मैथिली किस्सा – पंडीजी के मजाक

मैथिली किस्सा: हमरा गाम मे एगो पंडीजी छलाह, ओ एतेक मजाकिया छला जुनि पुछू। मजाक करै मे दूर-दूर तक हुनक चर्चा होइ छन्हि। सच पुछू तँ मजाक करै मे ओ किनको नञि छोड़ैत छथिन्ह।

Pandit ji Joke - Maithili Samachar

मैथिली किस्सा: हमरा गाम मे एगो पंडीजी छलाह, ओ एतेक मजाकिया छला जुनि पुछू। मजाक करै मे दूर-दूर तक हुनक चर्चा होइ छन्हि। सच पुछू तँ मजाक करै मे ओ किनको नञि छोड़ैत छथिन्ह।

एक दिनक बात छल हुनक अर्धांग्नी (पंडीतैन) हुनका कहलखिन अहाँ सभसँ मजाक करै छी, एत धरि जे मजाकक मामला मे दूर-दूर तक अहँक चर्चा होइत अछि। मुदा अहाँ हमरासँ कहियो मजाक नञि केलहुँ। पंडीजी बजलाह- देखू सुनेना के माय, ई बात सत्य अछि जे हम सभसँ मजाक करै छी, एकर मतलब ई थोड़े ने की हम अहूँसँ मजाक करी?

ताहि पर पंडीतैन कहलखिन- से नञि हएत, एक दिन अहाँ हमरासँ मजाक क ई देखाबू ताकि हमहूँ तँ देखी जे अहाँ कोना मजाक करैत छी? पंडीजी हारि क् बजलाह- ठीक अछि, जहिया हमरा मौका भेटत हम अहूँसँ मजाक करब।

किछु दिनक बाद पंडीजी अपन सासूर पहुँचलाह, सासुर मे हुनकर खूब मोनभर आदर भेलन्हि, भोजन-भातक बाद ओ जाय लेल निकलै छलाह ताबे मे हुनकर छोटका सार सुनील बाबु हुनका आग्रह क कए कनि देर बैसे लेल कहलखिन।

इहो पढू : मैथिली किस्सा – “बगिया के गाछ”

सुनील बाबु कहलखिन- झाजी बहुत दिनक बाद आयल छलहुँ, किछु गाम-घरक समाचार सुनाबू। पंडीजी मूह बनबैत बजलाह की कही सुनील बाबु किछ दिनसँ हम बहुत परेशान छी।

सुनील बाबु पुछलखिन- झाजी की बात अछि अहाँ बहुत दुखी लागैत छलहुँ, कनि खोइल के कहू अहाँ केँ कोन परेसानी अछि? हम अपनेक कुनू काज आबी तेँ हमरा ख़ुशी हएत।

पंडीजी कहलाह- सुनील बाबु बात ई अछि जे घरमे आधा राति केँ एक प्रेत सुन्दर युवतिक रूप मे अर्धनग्न अवस्था मे दलान पर आबैत छलीह आ जतेह अनार, लताम, नेबो सभ गाछ में रहैत अछि सभ टा तोड़ि क चलि जाइत छलीह। हम रोज ओकरा देखैत छलहुँ मुदा हिम्मत नञि होइत अछि जे ओकरा रोकी। आब अहीं कहू जे हमरा ई अनार, लताम आ नेबोक गाछ लगेनेसँ कोन फायदा? परेसान भ क आब सोचने छी जे सभ टा गाछ केँ काटि देब, जखन फल खेबे नञि करब तँ गाछ राखिये क कोन फायदा?

पंडीजी क बात सुनि क सुनील बाबु हँसैत-हँसैत बजलाह- बस एतबे टा बात सँ अहाँ परेसान छी? अहाँ चिंता जुनि करू। काल्हि हम आबय रहल छी, काल्हि राति हम ओ प्रेत केँ देखब। आब अहाँ जाऊ, हम काल्हि आबए छी।

इहो पढू : मैथिली किस्सा – ‘अंधेर नगरी चौपट राजा, टके सेर भाजी टके सेर खाजा’

पंडीजी कहलखिन- ठीक अछि, कनि सांझे केँ आयब हम अहाँक बहिन केँ कहि देबैन अहाँ ले भोजन-भात तैयार रखतीह। ई कहि केँ पंडीजी सासूर स बिदा भेलाह। आ घर पहुँचते चौकी पर चारु-चित पड़ि रहलाह।

पंडीतैन हुनका चौकी पर चारु-चित परल देख कए दौगल अएलीह आ पुछलखिन- नाथ की भेल अहाँ केँ? अहाँ किछु परेसान लगै छी।

पंडीतैन केँ परेसान देखि क पंडीजी उदास मने बजलाह- हाँ पंडीतैन, बाते किछु एहेन अछि जै सँ हम परेसान छी।

पंडीतैन पुछलखिन- देखू हमरासँ किछ छुपबई के प्रयास नञि करू, अहाँक ई हालत हमरासँ देखल नञि जएत, जल्दी कहू की बात छै?

पंडीजी कहलाह- की कही पंडीतैन आय हम अहाँक नैहर गेल छलहुँ, अबैत घरी रस्ता मे एगो ज्योतिष महाराज जबरदस्ती हमर हाथ देखलन्हि।

पंडीतैन बिचे में टोकैत बाजलैथ- की भेल सेतँ कहू? पंडीजी कहलाह- भेल ई जे हुनकर कहब छनि, हम आब खाली 5 दिनक मेहमान छी।

ई बात सुनिते पंडीतैन जोर-जोर सँ छाती पिटैत कानए लगलीह। हे कालि मैया हम ई की सुनय छी, नाथ अहाँ चिंता नञि करू हम कुनू निक ज्योतिष सँ अहाँ केँ देखाएब। यदि कुनू कलमुहीक छाया अहाँ पर अछि त ज्योतिष महाराज कुनू ने कुनू उपाय ओकर निकालताह।

इहो पढू : मैथिली किस्सा – गोनू झाक माछ आ नौआ

पंडीजी पंडीतैन के चुप करैत कहलखिन- भाग्यवान उपाय तँ इहो ज्योतिष महाराज बतेल्न्हि लेकिन…। पंडीतैन- की उपाय बतेलक से कहू ?

पंडीजी कहलखिन- किछ नञि, हुनक कहब छन्हि जे आमावस्याक रातिमे यदि कुनू सुहागिन नारी अर्धनग्न अवस्था मे आधा राति केँ यदि कुनू नेबोक गाछसँ नेबो तोड़ि केँ आनथि आ सूर्योदय सँ पहिने यदि हमरा ओकर सरबत पीएय लेल देल जाय त ई बिघ्न दूर कएल जा सकैत अछि।

ई बात सुनि पंडीतैन कहलखिन- नाथ तखन अहाँ चिंता किए करै छी, काल्हि अमावस्या छी आ अपने दलान पर नेबोक गाछ अछि, काल्हि हम अपने ई काज करब अहाँ चिंता नञि करू। राति भ् गेल, चलू सुइत रहु, काल्हि सभ ठीक भ जएत।

दुनु प्राणी सुतए लेल चली गेलाह मुदा पंडीतैन केँ भरि राति निंद नञि भेलनि। ओ भोरक इंतजार करए लगलीह। भोर भेल आब ओ रातिक इंतजार करए लागलीह। ताबे धरि सांझ के सुनील बाबु
पहुँचलाह।

पंडीतैन कहलखिन- भैया आय अहाँकेँ बहिन कोना मोन पड़ल, कहीं रस्ता त नञि बिसरि गेलहुँ? सुनील बाबु कहलखिन- बहिन आय दफ्तरक छूटी छलए तँ सोचलहुँ जे अपन गुडियांक हाल-समाचार ल आबी। बाद मे बहुत देर तक हाल समाचारक बाद सभ भोजन केलक।

इहो पढू : मैथिली किस्सा – ‘गोनू झा’ के स्वर्ग से बजाहट

भोजनक बाद सुनील बाबु सुतए लेल दलान पर चलि गेलाह। एम्हर पंडीजी-पंडीतैन सेहो सुतए लेल चलि गेलाह। लेकिन किनको निंद नञि आबैत छन्हि। पंडीजी अपन मजाकक बारे मे सोच रहल छलाह तँ पंडीतैन अपन जीवन साथीक जीवनक लेल। सभसँ हटि क सुनील बाबु बहुत खुश छलाह कियेकी हुनकर सोचब छन्हि जे ई अनार, लताम, नेबो तोरब कुनू प्रेतक काज नञि ई कुनू परोसिनक काज थीक। आय ओ मने मन सोचलथि जे कियो भी होए हम ओकरा नञि छोड़ब, किये की ओ हमर झाजीक जिनाय हराम कए देने अछि। ओ एखने सँ नेबोक जड़िमे जा कए बैसि गेलाह।

देखते-देखते राति सभ केँ अपन कोरमे ल लेलक। पंडीतैन धरफड़ाएले उठलीह, अपन कपड़ा उतारलन्हि, माथ झुका कालि मैया केँ प्रणाम क कए विनती केलन्हि जे हे मैया हमर पतिक रक्षा करिहैथ। आ ओ चलि देल्न्हि नेबो तोड़ए लेल।

पंडीतैन जहिना नेबो गाछ तर पहुँचलीह सुनील बाबु भरि-पाँज हुनका पकड़ि लेलखिन आ मूह दबेने दलान दिस चलि देलन्हि। ताबे धरी पंडीजी हाथ मे लालटेन लेने दौगल अएलाह। आ पंडीजी बाजलाह- सुनील बाबु, सुनील बाबु रुकू, रुकू, ई कियो आर नञि अहींक बहिन छलीह।

ई सुनिते सुनील बाबु भोर होए के इन्तजारो नञि केलन्हि, तखने भागलाह अपन गामक दिस। एम्हर पंडीतैन पंडीजी सँ लिपटि केँ कलपि-कलपि क कानए लगलीह आ कहलखिन- नाथ अहाँ हमरा संग एहेन मजाक किये केलहुँ।

मैथिली में और किस्सा पढ़ैय के लेल क्लिक करू।

मैथिली समाचार से जुड़ल सब नब नब खबर जानै के लेल हमरा फेसबुक गूगल प्लस पर ज्वॉइन करू, आ ट्विटर पर फॉलो करू...
Web Title: मैथिली किस्सा – पंडीजी के मजाक

(Read all latest Maithili News, Maithili Stories News Headlines in Maithili and Stay updated with Maithili Samachar)

error: Content is protected !!