Saturday, January 20, 2024

मैथिली चुटकुला – किलास में मास्टरसाहेब गणित सिखबैत रहथि…

मजेदार मैथिली चुटकुला - मास्टरसाहेब किलास में गणित सिखबैत रहथि। ओहि में गणेश भाय के छोटका गोलुओ पढै छल। पढ़बैत पढ़बैत मास्टरसाहेब अउंघायल गोलुआ पर सवाल दगलनि।

Student and Teacher Maithili Jokes - Maithili Samachar

मजेदार मैथिली चुटकुला – मास्टरसाहेब किलास में गणित सिखबैत रहथि। ओहि में गणेश भाय के छोटका गोलुओ पढै छल। पढ़बैत पढ़बैत मास्टरसाहेब अउंघायल गोलुआ पर सवाल दगलनि।

मास्टरसाहेब : बेटा गोलू… ,

गोलू : हँ सर…

मास्टरसाहेब : मानि ले… जे हम तोरा दस गो लड्डू देलियौ।
…😛😛😅
गोलू : अंयs.. हम किया मानू…? अहां देबे नै कयलियै त केना मानि लू आ मनला से की हेतै?
…😛😛😅
मास्टरसाहेब : अरे बुड़बक भकोल… गणित छै, मानि ले नैs…. माने में तोहर की जाय छौ।

गोलू : ठीक छै.. अहांक मोन छै त मानि लइ छी, मुदा अहां याद राखब… अहां मुरजबानीये देने छी।

मास्टरसाहेब : हं.हं.. ठीक छै। आबि तों…. हमर देलहा लड्डू में सँ पांच गो घुरा देले….. त कते लड्डू बचतौ तोरा लग…?

गोलू : 20 गो
…😛😛😅
मास्टरसाहेब : कोनाक ?

गोलू : अहूं मानीये लीय ने… माने में अहूंक कथी जाइया…😜😜😜😜😜😜😚😚

मैथिली जोक्स – किलास में मास्टरसाहेब गणित सिखबैत रहथि…

और मैथिली चुटकुला पढ़ैय के लेल एत क्लिक करू।

मैथिली समाचार से जुड़ल सब नब नब खबर जानै के लेल हमरा फेसबुक गूगल प्लस पर ज्वॉइन करू, आ ट्विटर पर फॉलो करू...
error: Content is protected !!